Friday, December 16, 2011

१५ दिसंबर २०११ कें भारतक सुप्रीम कोर्ट स्व. ललित नारायण मिश्र क २ जनवरी १९७५ कें समस्तीपुरमे भेल हत्याक अखन धरि लोअर कोर्ट मे निपटारा नै भेलापर तामस प्रकट केलक अछि

१५ दिसंबर २०११ कें भारतक सुप्रीम कोर्ट स्व. ललित नारायण मिश्र क २ जनवरी १९७५ कें समस्तीपुरमे भेल हत्याक अखन धरि लोअर कोर्ट मे निपटारा नै भेलापर तामस प्रकट केलक अछि | समस्तीपुर मे बड़ी लाइन क उद्घाटन क कालमे फेकल गेल रहै मंचपर बम जइमे भारतक तत्कालीन रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र घायल भेल रहथि, ३ जनवरी १९७५ कें अस्पताल क रस्तामे हुनकर मृत्यु भेल |


ऐ केस मे एकटा वकील राजन द्विवेदी आ किछु आन गोटेक गिरफ्तारी भेल आ आनंदमार्गीक भूमिकापर संदेह कएल गेल छल| भारतक अटोर्नी जेनेरल बिहार सरकारक दिन पर दिन दखलक गप उठेलनि आ १९७९ मे सुनबाही दिल्ली मे स्थानान्तरित भ' गेल आ सुनबाही दिल्ली मे शुरू भेल | राजन द्विवेदी क संग सुदेवानंद अवधूत आ किछु आर गोटेकक खिलाफ चार्जसीट १९८१ दाखिल भेल | राजन द्विवेदी अपन अपराध नै स्वीकार केलनि आ ३९ टा गबाह राखलनि जइमे ३१ गोटेक मृत्यु भ' गेल छनि, आ ऐ केस मे २२ टा जज बदलि चुकल छथि| ऐ केस मे सुप्रीम कोर्ट भारतक सी.बी.आइ.कें नोटिस द' देरीक कारण पुछलक अछि |


ऐ केसमे प्रतिदिन सुनबाहीक सुप्रीम कोर्टक २० साल पुरान आदेशक पालन सेहो नै भेल |


राजन द्विवेदीकें १९७८ मे आ दोसर आरोपी सभकें १९८६ मे बेल द' देल गेल |


राजन द्विवेदी सी.बी.आइ.पर देरी करबाक आरोप लगेलन्हि अछि आ कहलनि अछि जे ऐ केसक बिन निपटारा भेने हुनकर इज्जत वापस नै आबि सकै छन्हि|

No comments:

Post a Comment