Sunday, November 13, 2011

बिहारक राज्यगीतपर विवाद (रिपोर्ट श्री सत्यनारायण झा)

राज्यगीत बिहारक राज्यगीत जे सरकार द्वारा मान्यता पेलक अछि ओहि मे मिथिलाक नाम नहि देखि मिथिलांचल मर्माहत अछि |बिहार सं मिथिला कें हटा देल जाय त’ फेर बिहार मे की बचतैक |बिहार मे एक मात्र मिथिला छैक जे बिहारक नाम प्रकाशित केने छैक | कोनो क्षेत्र अतीत संग जीबैत अछि मुदा मिथिलाक अतीत आ बर्तमान दुनू शानदार छैक |बिहारक एक मात्र भाषा मैथिली अछि जेकरा राष्ट्रीय अंतर्राष्ट्रीय पहचान छैक | जे ब्यक्ति सीता ,कालीदास ,विद्यापति ,मंडन ,वाचस्पति क’ नहि जनैत छथि ,ओ की राज्यगीत लिखताह |जे मधुबनी क’ नहि जनै त छथि ओ त’ ललित –कर्पूरी क’ सेहो नहि जनैत हेताह | हमरा नहि लगैत अछि जे ज्ञानी मुख्य मंत्री एहन अस्पष्ट गीत क’ मान्यता देथिन |मु० म० सेवा यात्रा मे छथि |एही यात्रा मे मिथिलांचल मे हुनका सं बात करब ठीक रहतैक |एहि लेल मिथिलांचलक प्रतिनिधि मु० म० सं भेंट करथि |किछु प्रतिनिधि के कहलो गलनि अछि | किछु प्रतिनिधि त’ मैथिली संस्था सं जुडलो छथि ,हुनका त’ स्वम पहल करक चाही |सरकार में कतेक मंत्री आ उच्च पद पर छथि | ओ लोकनि सत्प्रयास करथि | नीक बात मु० म० अवश्य सुनताह | ओना अपना स्तर सं सभ गोटा स्मार मु० मं० क’ अवश्य भेजल जाय |

No comments:

Post a Comment