Friday, November 11, 2011

दरभंगामे त्रिदिवसीय विद्यापति पर्व समारोह (रिपोर्ट श्री कमलेश झा)

दिनांक १०-११-११ क दरभंगा के एम् एल एस एम् कॉलेज मे त्रीदिवसीय विद्यापति पर्व समारोह पर्व के आयोजन केल गेल एही अवसर पर मिथिलारेडियो के अत्यंत प्रभावशाली प्रस्तुति रहल . कार्यक्रम में बिहार के मंत्री अश्विनी चौबे , डॉ. सी पी ठाकुर , ल ना मि वि के कुलपति डॉ एस पी सिंह , दरभंगा के डी एम् आर लक्ष्मणन ,एस एस पी विकास वैभव , विधायक संजय सरावगी , विधान पार्षद विनोद चौधरी संगे अनेको प्रसिद्ध व्यक्ति शामिल छेलैथ. एत्त ४ गोटे के सम्मानित सेहो केल गेल जाहि में दैनिक जागरण के निशिकांत जी दरभंगा आकाशवाणी के मणिकांत झा सेहो शामिल छेलैथ .मंच संचालन कमलाकांत झा आ बैज नाथ चौधरी बैजू केलेथ. मिथिलारेडियो पूरा टीम संगे सम्पूर्ण कार्यक्रम में उपस्थित रहल सांस्कृतिक कार्यक्रम के बाद मिथिलारेडियो के कार्य के आयोजक मंडली काफी सराहलैथ. संगे ईहो कहलैथ जे सम्पूर्ण आयोजक मंडली सदिखन मिथिलारेडियो के संग दै लेल तैयार रह्तैथ. कलाकार लोक में कुञ्ज बिहारी मिश्र , रामबाबू झा , रंजना झा प्रसिद्ध न्रित्यागना नलिनी जी , रामसेवक ठाकुर ,जनक जी ,संगे सब कलाकार सब मिथिलारेडियो के प्रयास के बहुत प्रशंसा केलिन. मिथिलारेडियो के टीम द्वारा मैथिली सिनेमा मुखिया जी के प्रोमोशन सेहो केल गेल. मुखिया जी सिनेमा के निर्देशक विकास झा एही सिनेमा के पूर्ण जानकारी उपस्थित जन समूह के देलैथ. ई सिनेमा एही महीना में प्रदर्शित होयत.संगे संग विकास जी आ एकटा नवोदित निर्देशक दीपेश चन्द्र मिल क राज दरभंगा के ऊपर एकटा documentry फिल्म बना रहल छैथ टक्कर जानकारी सेहो देलैथ .मिथिलारेडियो ई दुनु फिल्म के ऑनलाइन मीडिया पार्टनर ऐछ

No comments:

Post a Comment