Monday, November 14, 2011

बिहारमे मिथिलांचलमे प्राथमिक आ मध्य विद्यालयी शिक्षा मैथिलीमे/ बिहार सरकार सुप्रीम कोर्टमे हारल / जगदीश प्रसाद मंडलक नेतृत्वमे विदेहक टीम करत शिक्षा मंत्रीसं भेंट

-बिहारमे मिथिलांचलमे  प्राथमिक आ मध्य विद्यालयी शिक्षा मैथिलीमे


-बिहार सरकार सुप्रीम कोर्टमे हारल


-जगदीश प्रसाद मंडलक नेतृत्वमे विदेहक टीम करत शिक्षा मंत्रीसं भेंट


-१४ अक्टूबर २०११ केँ मुख्यमंत्री नीतिश कुमारकेँ निर्मलीमे जगदीश प्रसाद मण्डलक ५ टा आ राजदेव मण्डलक एकटा पोथी देल गेलन्हि ओइ समय सेहो उठल छल मुद्दा


-जयकांत मिश्रक याचिका (CWJC No. 7505/98) पर बिहार सरकार हाई कोर्टमे सेहो हारल छल 


-मुदा बिहार सरकार सुप्रीम कोर्टमे केने छल अपील Civli Appeal No(s). 7266 of 2004, न्यायमूर्ति बी.सुदर्शन रेड्डी आ सुरिन्दर सिंह निज्झर ३० सितम्बर २०१० केँ सुनवाइ केलन्हि आ अपन निर्णयमे बिहार सरकारक अपील ठोकरा देलन्हि।


-बिहार आ झारखण्डक भागमे [बिहारक सीतामढ़ी, शिवहर, मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर, खगड़िया, बेगूसराय, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, अररिया, वैशाली (हाजीपुर), मुंगेर, बाँका,  भागलपुर, मुजफ्फरपुर, मोतीहारी, किशनगंज, आ कटिहार जिला आ रिटक समय १९९८ ई. मे बिहार मुदा आब झारखण्डक देवघर, गोड्डा आ साहेबगंज जिला]  मैथिली अलग भाषा रूपमे बाजल जाइत अछि। जँ वर्गमे कमसँ कम १०टा छात्र आ स्कूलमे ४० टा   छात्र मैथिली माध्यमसँ शिक्षा प्राप्त करऽ चाहताह तँ सरकारकेँ से व्यवस्था करए पड़तैक।

-मैथिलीक दुर्भाग्य रहल जे एकरा ने जमींदारी राजमे (दरभंगा / बनैली आदि) कोनो आधिकारिक  मान्यता भेटलै आ ने बिहारक मैथिली भाषी मुख्यमंत्रीक  कालमे


-मात्र भारत सरकार आ सुप्रीम कोर्ट (भारत सरकार ) भेल जे एकरा मल्ल राज्यकालक बाद मान्यता देलक


-भारत आ नेपालक कम्यूनिस्ट पार्टी मैथिलीकें ह्रदयसं संग देलक

4 comments:

  1. Ee khabari aan Face book community sabh pr ekhan post nai bha rahal achhi.

    ReplyDelete
  2. networked blog ka through hamar profile http://www.facebook.com/priyanka.rachna.jha aa poonam jik profile http://www.facebook.com/profile.php?id=100002474863559 aa group http://www.facebook.com/groups/samadiya/ aa grouphttp://www.facebook.com/groups/videha/ par publish bhel chhai.

    ReplyDelete
  3. SC judgement'k copy ehi link pari available a6...
    http://www.mediafire.com/?cr61ge16y1ccj89

    ReplyDelete
  4. SC judgement'k copy ehi link pari available a6...
    http://www.mediafire.com/?cr61ge16y1ccj89

    ReplyDelete