Thursday, November 10, 2011

चेतना समितिक विद्यापति समारोहक दोसर दिनक कार्यक्रम (रिपोर्ट श्री सत्यनारायण झा )

विद्यापति समारोह ,पटना |०९ नवम्बर २०११ 
चेतना समितिक तत्वाधान मे अठावनमा विद्यापति समारोहक दोसर दिनक कार्यक्रम आइ समाप्त भेल | श्री बिजेंद्र यादव , ऊर्जा मंत्री ,बिहार सरकार द्वारा आजुक कार्यक्रमक उदघाटन भेल |बाद में स्वास्थ मंत्री श्री अश्विनी चौबे सेहो अपन भाषण केलनि |ओकर बाद रंगारंग कार्यक्रम आरम्भ भेल |दु –चारिटा कलाकार क’ छोरि देल जाय त’ सभ अति साधारण छलाह |ओना सुरेन्द्र यादव जी ,सिन्द्रीक शिवानंद जी ,आ राजनीति जी नीक गीत गेलनि |नलनी चौधरीक नृत्य नीक छल |बाकी कलाकार एहने छलाह जे श्री राम सेवक ठाकुर क’ कहय परलनि जे कार्यक्रम समाप्त भ’ गेल कारण हुनकर घोषणा सं पहिने लोक चलि गेल छल |श्रोताक उपस्थिति जे छल से चेतना समिति लेल बेसी छल कारण बिना प्रयासे जं दु हज़ार करीब श्रोता आबि गेलखीन्ह त’ फेर की चाही |कियैक त’ पटना मे रहय बाला मैथिलक एक –दु प्रतिशत श्रोता जरूर छलाह | ओहो त’ साधुबाद दी श्री राम सेबक ठाकुर जी कें, जिनकर रसगर बात सं श्रोता आनन्दित होयत रहलाह | खैर आब देखी कल्हुका तमासा | प्रबंधकरता सभक प्रबंध बहुत खराब छल |किछु लोक लेल कुरसी छल आ किछु लोक लेल नीचा मे बैसय लेल दरी छल |जे कतौ सं रुचिकर नहि लागल |

No comments:

Post a Comment