Sunday, November 13, 2011

विद्यापति स्मारक मंच द्वारा आयोजित विराट शोभायात्रा - एक रिपोर्ट (रिपोर्ट श्री भास्कर झा)

विद्यापतिक स्मृति मे मैथिली भाषी द्वारा संपोषित सांस्कॄतिक मंच विद्यापति स्मारक मंच, कोलकाता द्वारा आयोजित विराट शोभायात्रा निकालल गेल । अहि शोभायात्राक विशेष आकर्षण में विद्यापतिक जीवन सं संबंधित एवं मिथिलाक लोक संस्कृति पर आधारित झांकीक प्रस्तुति कयल गेल जाहि में विशेष रुप सं उल्लेखनीय अछि जट जटिन, झिझिया, सामा-चकेवा, झड़नी , तजिया गीत सहित विद्यापति संगीत । विद्यापति विद्यामन्दिर में अहि कार्यक्रमक शुरुआत उपस्थित गनमाण्य द्वारा विद्यापतिक बहुआयामी व्यक्तित्व पर विशेष चर्चा सं भेल । श्री कृष्ण चन्द्र झा ‘ रसिक ’ विद्यापतिक महत्ता, हुनकर कृति, साहित्यिक योगदान आदि विषय पर सूचनाप्रद वक्तृत्व देलनि। अहि अवसर पर अंजना इस्सर द्वारा प्रस्तुत गोसाउनिक गीत “जय जय भैरवि ‘ कर्णप्रिय रहल। श्री भोगेन्द्र झा द्वारा वेदपाठक समवेत स्वर सं वातावरण यज्ञमय भय गेल । मो यासीन कुराण पाठ कयलनि जेकि मिथिलांचलक पागधारी मैथिल आ टोपी धारी मुस्लिमक मध्य समरसताक भाव साबित भय रहल अछि । सभा सम्चालक छलाह श्री विवेकानन्द झा आ हुनकर संग देलकनि श्री विनय भूषण जी । शोभायात्रा विद्यापति विद्यामन्दिर सं आरम्भ भय मुक्ताराम बाबू स्ट्रीट, चितरंजन एवेन्यू, गिरीश पार्क, विवॆकानन्द रोड, राजा राममोहन राय सरणी , महात्मा गांधी रोड होइत गन्तव्य स्थल सियालदह स्थित विद्यापति सेतु पर अवस्थित महाकवि विद्यापति प्रतिमा पर माल्यदान प्रदान कयल गेल। माल्यार्पणक उपरान्त सभा संचालन भेल। कार्यक्रम प्रारंभ अंजना इस्सर द्वारा प्रस्तुत स्वागत गीत स भेल। श्री भोगेन्द्र झा स्वागत भाषण देलनि अध्यक्षीय भाषण श्री विष्णुकान्त झा द्वारा देल गेल। अहि कार्यक्रम मुख्य अतिथि छलाह प्रसिद्ध पुरातत्वविद श्री फ़णिकान्त मिश्रा । सभा के संबोधित कर वला मे श्री रामलोचन ठाकुर, बिहार विधान सभाक विधायक (बेनीपट्टी) श्री बिनोद नारायण झा, श्रीमति मौसमी घोष, राष्ट्रीय केमिकल्स फ़र्टिलाइजर के पूर्व प्रमुख डॉ यू एस झा , श्री शारदानन्द झा आदि गोटे प्रमुख छलाह । सभाक सफ़ल संचालन श्री विवेकान्द झा द्वारा कएल गेल।





No comments:

Post a Comment