Friday, November 11, 2011

निशिकांत ठाकुर,डॉ. समरेंद्र प्रताप सिंह,मणिकांत झा आ जीवकांतकेँ 'मिथिला विभूति' सम्मान

-'दैनिक जागरण'क मुख्य महाप्रबंधक निशिकांत ठाकुरकेँ'मिथिला विभूति' सम्मान

-विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा दिससँ आयोजित तीन दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोहक अन्तिम दिन १० नवम्बर २०११ केँ बिहारक स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे द्वारा पुरस्कार देल गेल।समारोहक उद्घाटन भाजपा बिहार प्रदेश अध्यक्ष डॉ. सीपी ठाकुर केलन्हि।

-ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति डॉ. समरेंद्र प्रताप सिंह आ मणिकांत झा सेहो 'मिथिला विभूति' सम्मान ग्रहण केलन्हि।

-साहित्यकार जीवकांतक 'मिथिला विभूति' सम्मान हुनका दिससँ मैथिली अकादमी पटनाक अध्यक्ष कमलाकान्त झा लेलन्हि। -ध्रुपद गायक अभय नारायण मल्लिक आ संजय कुमार मल्लिक विद्यापति गीत गेलन्हि।

-गायक कुंज बिहारी मिश्र, डॉ. ममता ठाकुर, रामसेवक ठाकुर, कृष्णानंद मिश्र, डॉ. चंद्रमणि, नृत्यांगना डॉ. नलिनी चौधरी सेहो रहथि।

-स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे मानलन्हि जे बिनु मिथिला "बिहार गीत" पूर्ण नै भऽ सकैए -"बिहार गीत"मे मिथिलाक वर्णन नै रहलासँ उत्पन्न विवादपर ओ ई गप कहलन्हि।  ओ कहलन्हि जे ऐ मुद्दाक जानकारी ओ मुख्यमंत्री नीतिश कुमारकेँ देताह।

-पूर्व मंत्री राजकुमार महासेठ, विशिष्ट अतिथि विधायक रामदेव महतो, जिला परिषद अध्यक्ष हरि सहनी, विधायक संजय सरावगी, अमनाथ गामी, गोपालजी ठाकुर, विधान पार्षद डॉ. विनोद कुमार चौधरी, डीएम आर. लक्ष्मणन, एसएसपी विकास वैभव, नेपालसँ आएल रामभरोस कापड़ि भ्रमर, वैज्ञानिक योगेंद्र पाठक वियोगी ई सभ गोटे महाकवि विद्यापतिकेँ श्रद्धांजलि देलन्हि।

No comments:

Post a Comment