Saturday, November 12, 2011

फिल्म "हमर अप्पन गाम अप्पन लोक " 25 नवम्बरसं मिथिलांचलक विभिन्न सिनेमा घरमे प्रदर्शित हएत (समाचार मनोज झा )/ मैथिली फिल्म “ मुखिया जी” 18 नवम्बर 2011 केँ रीलिज भऽ रहल अछि (रिपोर्ट भास्कर झा)


-फिल्म "हमर अप्पन गाम अप्पन लोक " 25 नवम्बरसं मिथिलांचलक विभिन्न सिनेमा घरमे प्रदर्शित हएत
-निर्मात्री कल्याणी झा 
-कार्यकारी निर्माता मोहन मिश्र

-प्रस्तुति - नबो कुमार झा 
-ऐ फिल्मक निर्देशक छथि मनोज झा 
- संगीतकार छथि प्रेमसागर
- गायक पवन नारायण, कुमार शानू,
अनुराधा पौडवाल




बहुचर्चित आ बहुप्रतिक्षित मैथिली फिल्म “ मुखिया जी” अन्तत 18 नवम्बर 2011 के रीलिज भय रहल अछि। अहि फ़िल्मक ग्रैन्ड ओपनिंग जयनगर स्थित मिथिलांचलक सबसं पैघ , डॉल्बी डिजितल युक्त 850 सीट बाला शिवम पिकचर्स पैलेस में कयल जावत। प्राप्त सूचना के अनुसार सकरी आ झन्झारपुर के सिनेमा हॉल, दरभंगा के पूनम सिनेमा आ मधुबनीक मिथिला में अहि फ़िल्म के प्रदर्शित करबाक यथेष्ट प्रयास चलि रहल अछि। ई फ़िल्म मैथिली सिनेमा के दशा, दिशा आ वर्तमान स्वरुप में क्रान्तिकारी परिवर्तन लाब में महत्व्पूर्ण भूमिका निभावत ।

मैथिलि सिनेमा के नव अवतार - "मुखिया जी" फिल्म सं सम्बंधित किछ विशेष जानकारी-

१. ई मैथिलि भाषा के पहिल फुल लेंग्थ डिजिटल फिल्म आइछ जाकर पिक्चर क्लारिटी, फिल्म कैमरा के सेहो पाछु छोड़ देत.

२. ५.१ सुरौंड सौंड के पहिल प्रयोग कोनो मैथिलि सिनेमा में भेल आइछ जे सुनवा में भव्य लागत.

३. बहुत दिन बाद कोनो सिनेमा के सन्सर बोर्ड द्वारा स्पेशल "संपूर्ण सोशल(सामाजिक) एवं युनिवेर्सल " फ़िल्मक दर्जा.
भेटल आइछ जे सपरिवार बच्चा, बुजुर्ग, महिला देखी लायक आइछ.

४. भारत आ नेपाल के मैथिलि रंगमंच आ फिल्म में सक्रिय बेहतरीन प्रदर्शन वाला ३५० से अधिक कलाकारक चयन audition प्रोसेस से कैल गेल हन.

५. एकर प्रदर्शन देश विदेश के विभीन सिनेमाहाल में कैल जेत आ संगे नेशनल फिल्म अवार्ड्स में मैथिलि फिल्म श्रेणी में सेहो शिरकत करत.

६. पहिल एहेन मैथिलि फिल्म जाकर व्यापक स्तर पर प्रचार ऑनलाइन मीडिया से सेहो भेल आइछ जैहिमे एकर वेबसाइट
www.mukhiyajee.com सेहो सहयोग से लौंच कैल गेल आइछ.

७. अहि फिल्म में काठमांडू,जनकपुर,बिहार, मुंबई,आ दिल्ली सब जगहक technical
सहयोग लेल गेल आइछ.

८.किछ गाना के बेहतर कर्णप्रियता के लेल ओकर लाइव रेकॉर्डिंग कैल गेल आइछ जे मैथिलि सिनेमा में आम नै आइछ
कहानी के मुख्या अवधारणा अहि प्रकारक आइछ-
अ. चानन आ चनरऔटा मिसर मिथिला के दियादी झगडा के बहुत ही सुन्दर सुन्दर रचनात्मक गारा गंजन से हास्यात्मक मनोरंजन कराइ चित
ब. गाँव घर में एखन धैर सड़क काट में गंदगी फैलेल जैत आइछ जाकर फिरण भाई रूपी पत्र के द्वारा बहुत ही व्यंगात्मक रूप में साफ़ सफाई
तरफ लोकक ध्यान आकर्षित कराइ के चेष्टा कैल गेल आइछ
स. चोरा- नुका के लड़का के पकैड़ ब्याह करबै के प्रथा के बहुत हास्यात्मक रूप में हवा बॉस, सिनुर दै, टिकली आ टिक्कीधारी आदि पात्र सबहक
द्वारा प्रस्तुत कैल गेल आइछ ,जेना टिक पकैड़ के सौस द्वारा पैन बरने टिक पकैड़ के नचने आइछ
द. व्यस्क शिक्षा के गुवात्ता के देखैत एकर बढ़ावा हेतु हीरो आ हीरोइन में बहुत सारा मनोरंजनात्मक प्रतियोगिता करेल गेल आइछ
य. समाज सुधार, ग्रामीण पंचायती व्यवस्था में धांधली आ कालाबाजारी,राजनीतिक उठापटक के
मुखिया जी ,लाल बाबु मुखिया ,गर्मी काका, सोहन दास, मोहन दास पात्र द्वारा सजीव चित्रण कैल गेल आइछ .
र. आई तक बनेल गेल लव स्टोरी स हैट के बहुत ही हृदय स्पर्शी लव स्टोरी हीरो पात्र मुखिया जी तथा हेरोइने पात्र चंपा द्वारा अभिनीत कैल गेल आइछ
ल. मुसरी माधो आदि बाल कलाकार के मुखिया जी पत्र के सहयोगी बना समाज के व्यवस्था बदलै हेतु बाल बोधक भूमिका सेहो देखिल गेल आइछ

एकर अलावा हास्य व्यंगक आ आदर्श समाजक निर्माण हेतु बहुत सन्देश आइछ. जाकर शाब्दिक वर्णन संभव नाइ आइछ.

टीम एवं कास्ट-----

निर्माता-रुपेश मिश्र

आशीर्वाद एवं हृदयस्पर्शी सहयोग-जय शंकर मिश्र

प्रस्तुति-nirmaana motion pictures pvt . ltd

supervising producer एवं कंपनी के सञ्चालन कर्ता- राजेश रंजन मिश्र

निर्देशन एवं कहानी-विकाश झा

नवोदित अभिनेता-सुभाष चन्द्र ,जे मुखिया जी के भूमिका में छैथ
(दिली रंग मंच एवं शोर्ट फलम के चर्चित चेहरा जिनकर 40 लघु फिल्म सब देश विदेश प्रदर्शित भेल आइछ )

नवोदित अभिनेत्री-रौशनी झा

मुख्य कलाकार-रामनारायण ठाकुर, विष्णुकांत, परमेश झा,घनश्याम मिश्र, बी.अन. पटेल,विक्की चौधरी .इत्यादि

TECHNICAL रुपें फिल्म के- DIGITAL फुल लेंथ,CINEMASCOPE ,COLOR विथ DIGITAL ५.१ SURROUND कहल जैत आइछ.

फिल्म स्क्रीन प्ले टाइम- २ घंटा ४० मिनेट .
Mukhiya Jee : First full length digital Maithili Film
www.mukhiyajee.com

1 comment: