Friday, September 14, 2012

म्याराथन प्रभावकारी रुपमे सम्पन्न करय विभिन्न उपसमिति गठन आसिन १३ गते सँ (रिपोर्ट कैला्श कुमार दास, जनकपुर)

जनकपुरमे होबएबला स्र्माट सेल दोसर जनकपुर त्रmस कन्ट्री फुल म्याराथन आ मिनि म्याराथन प्रतीयोगीताकेँ सफलतापूर्वक सम्पन्न करय लेल शनिदिन विभिन्न उपसमितिसभ गठन कएल गेल अछि । खेलकुद तथा संस्क ृति विकास कोष्ाक शनिदिन बैसल बैसार सँ प्राविधिक कमिटीक संयोजकमे राम चन्द्र ठाकुर, मेडिकल कमिटीक संयोजकमे डा. कुन्दन यादव, प्रचार प्रसार कमिटीक संयोजकमे दिपेन्द्र माहासेठ, खानेपानी व्यवस्थापन कमिटीक संयोजकमे दिनेश सिंह, आवास तथाआदर सत्कार कमिटीक संयोजकमे ललित यादव, सुरक्ष्ाा समन्वय कमिटीक संयोजकमे सुरेश शर्मा, मन्च व्यवस्थापन कमिटीक संयोजकमे मनोज यादव, सडक तथा ट्राफिक व्यवस्थापन समन्वय कमिटीक संयोजकमे कुमोद यादव, स्वयं सेवक परिचालन कमिटीक संयोजकमे जितेन्द्र गोर्इत (फुल म्याराथन ) आ अमर मण्डल (मिनि म्याराथन)आ पार्किङ्ग व्यवस्थापन कमिटीक संयोजकमे हसिम नदाफकेँ चयन कएल गेल अछि ।एहि सँ पहिने जितेन्द्र माहासेठक संयोजकत्वमे ३१ सदस्यीय मुल आयोजक कमिटी गठन भ˜ चुकल अछि ।.............................वाल दिवसक अवसरपर जनकपुरमे सेहो विभिन्न कर्यात्रmम कएल गेल मिथिला समाचारदाता जनकपुरधाम, भादव २९ ।वाल दिवसक अवसरपर जनकपुरमे सेहो सरकारी तथा निजी विद्यालयसभविभिन्न कार्यत्रmमसभ सम्पन्न कएलक अछि ।याज्ञवल्क्य संस्क ृत माध्यमिक विद्यालय ज्ञानकूपमे विद्यालय स्तरीय चित्रकला, निवन्ध, श्लोक वाचन सहितक प्रतियोगिता कएलक अछि ।प्रधानाध्यापक संजय कुमार भmाक सभापतित्वमे सम्पन्न ओ प्रतियोगिताक प्रतियोगिसभकेँ प्रमुख अतिथिक रुपमे रहल गुठी संस्थान जनकपुरक प्रमुख राजाबाबु पाण्डे पुरस्कार वितरण्ा कएलन्हि अछि । ओहि अवसरपर प्रमुख पाण्डे ज्ञानकूपक शिक्ष्ाा, तथा आवास भोजन सहितपर विशष्ा ध्यान देवाक प्रतिवद्धता जनौलन्हि अछि । तहिना जनता माध्यमिक विद्यालय कजरा रमौलमे सेहो विभिन्न कार्यत्रmम कएल गेल ।प्रधानाध्यापक लाल बाबु यादवक अध्यक्ष्ातामे भेल कार्यत्रmममे कक्ष्ाा १ सँ ल˜ क˜ १० धरि प्रथम, åितीय आ त ृतीय कएनिहार छात्र, छात्राकेँ, एसएलसी परीक्ष्ाामे प्रथम श्रेण्ाी आ छात्रा दिस उत्क ृष्ट अंक लाबएबला विद्यार्थीकेँ ५ सय नगद सहित पुरस्कार वितरण्ा कएल गेल । अनुशासित, नियमित आ मर्यादित रुपमे संचालन भेल वेष्ट कक्ष्ााकेँ खेल सामाग्री, कक्ष्ाा १ सँ १० धरि सभ सँ बेसी अंक लाबए बला आ बेसी उपस्थित भेल विद्यार्थीसभकेँ पुरस्क ृत कएल गेल अछि ।तहिना राष्ट्रपति रनिङ्ख शिल्ड प्रतियोगितामे åितीय स्थान प्राप्त कएनिहार छात्र आ छात्राकेँ नगद ५/५ सय रुपैयाक दर सँ पुरस्कार स्वरुप प्रदान कएल गेल अछि । विद्यालयमे अनुशासित, मर्यादित, नियमित आ विद्यालय प्रति कर्तव्यनिष्ठ शिक्ष्ाकåय सुख चन्द्र मण्डल आ ब्रह्मदेव यादवकेँ नगद १ हजार रुपैया सहित प्रशंसा पत्र प्रदान कएल गेल अछि ।तहिना वाल दिवसक अवसरपर मिथिला वार्डिङ्ग स्कूल वाल रैली निकाललक अछि ।जनकपुरक मुजेलिा सँ निकलल ओ वाल रैली पिडारी चौक, रामानन्द चौक, जानकी मन्दिर, जनक चौक, देवी चौक, थापा चौक होइत पुन: मुजेलियामे आबि सम्पन्न भेल छल । वाल दिवस सफल करु, वाल शोष्ाण्ा अन्त करु, वाल विवाह वन्द करु, वाल अधिकार सुनिश्चित करु सहितक प्लेकार्ड ल˜ विद्यार्थीसभ जुलुश निकालने कार्यत्रmम संयोजक राम पुकार साहåारा जारी विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि । ओ रैली मनिता पोखरेल, जुली कर्ण्ा, क ृष्ण्ा दास, तिलक पाखि्रन, राम ह ृदय यादव, विजय पासवान, चन्द्र शेखर मण्डल, रोमा रार्इ, कामिनी साह, नारायण्ा वित्रmम साह, सुजित मण्डल, रेण्ाु स्वर्ण्ाकार, विजय यादव, हरे क ृष्ण्ा यादव, शत्रुधन यादव, सुमित कर्ण्ा, संतोष्ा लामा आ लक्ष्मण्ा चौधरी सहितक सहभागिता छल ।

No comments:

Post a Comment