Saturday, September 22, 2012

धनुषा जिल्लाक दुर्दशा (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


सभकेँ आश्चर्य लागल हएत नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशिल कोइराला ई टायर गाडीपर बैसि कऽ कि कऽ रहल छथि । एसी गाडी सँ मात्र चलएबला सभापति कोइरालाकेँ ई कि भऽ गेल छन्हि ? धनुषा जिल्लाक हठीपुर हडवारा गाम जाएकाल थालक कारण गाडी नहि जा स
कलाक बाद ओ टायर गाडीपर बैसि कऽ गेलथि । जनकपुर सँ मुस्किल सँ १० किलो मिटरक दूरीपर रहल ई गाममे मात्र नहि धनुषाक दू दर्जन गाममे कनिको पानि पडिते गाडी जाएकेँ अवस्था नहि रहि जाइत अछि । सुशिल कोइरालाकेँ एहि यात्रामे रोमाञ्च तऽ अवश्य भेल हेतन्हि कारण एहि अवस्थाक जिम्मेवार ओहो छथि । २०४६ सालक बाद सभ सँ बेसी सरकारमे रहलाक बादो देशक प्रमुख जिल्ला धनुषाक कतेक विकास भेल अछि ? धनुषाकेँ एहिबेर मात्र २४ टा सभासद छल । प्रत्येक सभासदकेँ वर्षमे १० लाख खर्च करवाक अधिकार छल । ओ रुपैयाक कनिको सदुपयोग भेल रहैति तऽ धनुषाक एहने अवस्था रहथि ? प्रत्येक सरकारमे धनुषोकेँ मन्त्री रहैत अछि । मुदा की धनुषाक विकास भेल अछि ? ई अनुतरित प्रश्नकेँ खोजी होएब सम्भव नहि अछि कारण नहि सरकारकेँ धनुषा सँ मतलव छैक आ नहि एहि ठामक जनताकेँ । आ कहियो काल एहन नाटक देखला पर जनतोकेँ आनन्दे अबैत छैक ।


No comments:

Post a Comment