Saturday, September 22, 2012

विद्यापति स्मारक पर घडी घण्टा लगाएब समाज सेवाक एकटा उदाहरण (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)



जनकपुरक विद्यापति चौकपर रहल विद्यापति स्मारकमे हेमचन्द्र चौधरीक पुत्र राजेश चौधरी राजु घडी घण्टा लगौलन्हि अछि । ओ घडी घण्टा लगलाक बाद विद्यापति चौकपर भीड लागल रहैत अछि । घडी घण्टा सँ गीतो गबैत छैक सभकेँ उत्सुकता अछि । विद्यापति स्मारकक उद्घाटन समारोहमे तात्कालिन प्रधानमन्त्री शेर बहादुर देउवा घडी घण्टा सरकार लगाओत घोषणा कएने रहथि । सरकारकेँ एकरबाद कतेको बेर घडी लगाबए लेल कहल गेल छल । मुदा ओहि ठाम सँ कोनो प्रयास नहि भेलाक बाद स्थानीय स्तर सँ घडी घण्टा लगाबएकेँ प्रयास शुरु भेल छल । हेमचन्द्र चौधरी विद्यापति स्मारक निर्माण समितिक सदस्य सचिव छलथि । हुनकर इच्छा छलन्हि अपन जिवैतकाल घडी घण्टा लागि जाए । सरकार नहि सही हुनक पुत्र ओ इच्छा पुरा कएलन्हि ।
राजु घडी घण्टा लगा कऽ अपन पिताक इच्छा मात्र पुरा नहि कएलन्हि अछि । एकटा इहो सन्देश गेल अछि जनकपुरवासी सरकारेपर पुरा निर्भर नहि अछि । ओ चाहे तऽ अपनो किछु कऽ सकैत अछि । ई एकटा समाज सेवा सेहो भेल । एहि काजक लेल चौधरी परिवारकेँ प्रशंसा करहे पड़त । संगहि दोसरो युवा सभ जनकपुरक विकासमे योगदान दैक एकर प्रेरणा सेहो देलक अछि ।

No comments:

Post a Comment