Saturday, September 22, 2012

कहियो जनकपुर एयरपोर्टक विस्तारक लेल आन्दोलन हएत ? (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)



पोखरामे क्षेत्रीय अन्तराष्ट्रीय विमान स्थल निर्माणक मांग करैत आन्दोलन कऽ रहल पोखरेली पाँच दिन सँ सरकारी कार्यालयक कामकाज अवरुद्ध कएलक अछि । पोखराक जनतासभ एहि मांगकेँ लऽ कऽ करिव दू महिना सँ आन्दोलित अछि । कहियो विमान स्थल ठप्प करैत अछि तऽ कहियो कोदारि खुर्पी लऽ कऽ विमान स्थल अपने विस्तार करय लगैत अछि । पोखराक जनता पुरापुर आन्दोलित भऽ गेल अछि । पोखराक जनताक मांग सरकारो मानएकेँ स्थितिमे पहुँच चुकल अछि । क्षेत्रीय विमान स्थलक बात जनकपुरमे पोखरा सँ पहिने उठल छल । मुदा एहि ठामक जनता चुपचाप रहलाक कारण जनकपुरक बात हेराए लागल अछि ।
जाहि देशमे खाए लेल सेहो आन्दोलन करय पड़ैत अछि ओतए कोनो विकासक बात अपने मोने भऽ जाएत ई सम्भव नहि अछि । चुपचाप रहला सँ काज नहि चलत । जनकपुरमे आन्दोलनो होइत अछि तऽ दोसर जिल्लामे ओ कार्यालय किए स्थापना भेलैक ? मूल मुद्दापर गम्भीर नहि भेलाक कारण एहन स्थिति आएल अछि । फेर जनकपुरक नेतो सभकेँ जे इमान्दारिता देखाबक चाही से नहि भऽ रहल अछि । एहि क्षेत्रक कोनो मन्त्री भऽ गेल ओहि मन्त्रालय सँ जुड़ल कार्यालय आओर अस्तव्यस्त भऽ जाइत जेना एखन स्वास्थ्य मन्त्री जनकपुर क्षेत्रक छथि तऽ ओ मन्त्रालय आओर अस्त व्यस्त अछि । अर्थात कहियो प्रसुति केन्द्र वन्द तऽ कहियो डाक्टरे नहि । पर्यटन मन्त्री सेहो जनकपुर क्षेत्रकेँ नहि भेल छथि से नहि मुदा एयरपोर्ट विस्तारक लेल कोनो काज नहि भेल अछि । की एक बेर जागक नहि चाही ?

No comments:

Post a Comment