Saturday, September 22, 2012

राजेश्वर नेपालीक मैथिली पुस्तक विमोचन मैथिली पुस्तक प्रकाशनक संख्या बढलापर साहित्यकारसभद्वारा प्रशन्नता व्यक्त (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)


जनकपुरधाम,आसिन ५ ।
वरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपालीद्वारा लिखित मैथिली भाषाक कथा संग्रह ‘सोमली’क शुक्रदिन विमोचन कएल गेल अछि । मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार एवं अन्तराष्ट्रीय मैथिली परिषदक अध्यक्ष डा. कमला कान्त झा विमोचन कएलन्हि अछि ।
९६ पृष्ठक ओ पुस्तकमे २३ टा कथा समावेश कएल गेल अछि ।
समारोहमे बजैत वक्तासभ मैथिली भाषाक पुस्तक प्रकाशनमे आएल तेजी प्रति प्रशन्नता व्यक्त कएलन्हि । ओसभ साहित्यकेँ सभ विधामे रचना करवाक लेल साहित्यकारसभ सँ आग्रह कएलन्हि ।प्रमुख अतिथिक आसन सँ बजैत डा. झा मैथिली साहित्यकेँ स्वर्णीम ईतिहास रहल अछि एकरा आम लोक सँ जोड़एकेँ आवश्यकता रहल चर्चा कएलन्हि ।
मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवती रमण लालक सभापतित्वमे भेल ओ समारोहमे पुस्तकक लेखक राजेश्वर नेपाली, मैथिली विभागक पूर्व विभागाध्यक्ष डा. पशुपति नाथ झा, राजनीतिकर्मी राम हृदय प्रसाद, साहित्यकार श्रीराम सिरज, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष राम अशिष यादव, वानक केन्द्रीय उपाध्यक्ष राजेश कुमार कर्ण, रेडियो मिथिला एवं मिथिला डटकमक सम्पादक सुजीत कुमार झा, रेडियो नेपालक समाचारदाता अजय कुमार झा, हर्दीनाथ साप्ताहिकक सम्पादक जयशंकर नाथ झा, जनार्दन मण्डल, नेपाल टेलिभिजनक जनकपुर समाचारदाता श्रीनारायण साह सहितक वक्तासभ वाजल छलथि ।

No comments:

Post a Comment